हब्स/भागेदारी
Appearance
< Hubs
This page is kept for historical interest. Any policies mentioned may be obsolete. If you want to revive the topic, you can use the talk page or start a discussion on the community forum. |
|
अहाँ या त वैश्विक स्तर पर हब चर्चा मे भाग ल सकय छी या कोनो निश्चित क्षेत्र या विषयगत क्षेत्र मे हब परियोजना के लागू करय के लेल कदम उठा सकय छी। बाद वाला के लेल, चल रहल हब परियोजना के सूची पर एक नजरि देल जाउँ।
लागू करब
आन्दोलन रणनीति कार्यान्वयन अनुदान वर्तमान मे दू ट्रैक के माध्यम सँ हब के समर्थन कयर रहल छै:
- शोध हब्स: एकटा शोध परियोजना के लेल एकटा विचार जे समुदाय के सदस्यक के जरूरत आ प्राथमिकता के सामने लाबय के लेल मिल क काज करय के बेहतरीन तरीका खोजय। इ परियोजना हब्स पर जारी वैश्विक बातचीत मे योगदान दैत छै।
- योजना हब्स: एकटा एहन परियोजना जे एकटा हब परियोजना के लेल समुदाय मे बातचीत आ सहमति के सुविधा प्रदान करय के कोशिश करय छै जे पहिने शोध कैल गेल छै आ एकर दायरा स्पष्ट रूप सँ परिभाषित छै।
खुला प्रश्नसभ
हब के बारे मे चर्चा एखन निम्नलिखित सवाल के सेट पर केन्द्रित अछि:
- मान: यथास्थिति पर हब बनला स की फायदा?
- जीवन चक्र: हब कोना अस्तित्व मे अबैत अछि ? हुनका कोना ‘प्रमोशन’ भेटैत छनि जाहि सँ बेसी संसाधन आ अतिरिक्त भूमिका लेबय मे सक्षम भ सकय? अप्रभावी साबित भेला पर कोना ‘डिमोट’ भऽ जाइत छथि वा भंग भऽ जाइत छथि?
- न्यूनतम भूमिका: की कोनो हब के पूरा करय पडत भूमिका के न्यूनतम सेट अछि?
- विशेषता: की कोनो क्षेत्र वा कोनो विषयक लेल एक सँ बेसी हब भऽ सकैत अछि ? यदि छै त की ओ सब प्रदर्शन के आधार पर संसाधनक के लेल प्रतिस्पर्धा करय छै?
- कवरेज: की कोनो क्षेत्र या विषय मे सबटा वित्त पोषित काज सम्बन्धित हब के माध्यम सँ जेबाक चाही?
- हित के टकराव: की सम्बद्ध बोर्ड के सदस्य सेहो अपन-अपन क्षेत्रीय केन्द्र मे निर्णय लेबय वाला भ सकैत छथि ? यदि छै त सीओआई के प्रबंधन कोना कैल जै? अगर नै त क्षेत्रीय केन्द्र मे निर्णय लेनिहार के हेताह?
- समर्थन: प्रशिक्षक के के प्रशिक्षित करैत अछि ? के सुनिश्चित करय छै कि हब के पास अपन घटक समुदाय के पेशकश करय के विशेषज्ञता छै?
- अधिकार: की हब्स स्वचालित रूप सँ अपन “अन्तर्गत” सेवा देल गेल समुदाय पर किछु चीजक के हकदार छै (कोनो क्षेत्र या कोनो विषय के भीतर)? की सेवा देल गेल समुदाय कोनो हब के साथ सम्बन्ध के विकल्प चुनयत छै या ओकरा स्वचालित रूप सँ नियुक्त कैल जायत छै?
- हब्स के बीच समन्वय: जखन परियोजनासभक कई हब के फोकस क्षेत्रक मे फैलल छै।