विश्वव्यापी आचार संहिता/समाचार पत्र/१/वैश्विक सन्देश

From Meta, a Wikimedia project coordination wiki
This page is a translated version of the page Universal Code of Conduct/Newsletter/1/Global message and the translation is 100% complete.

Universal Code of Conduct News – Issue 1

विश्वव्यापी आचार संहिता समाचार
अङ्क १, सन् २०२१ जुनपूरा सामचारपत्र पढ़ी


सार्वभौमिक आचार संहिता समाचारक पहिल अङ्कमे अहाँक स्वागत अछि! ई समाचारपत्र विकिमिडियनसभ केर नव नीति या संहिता विकासमे शामिल रहऽमे सहायता करत, आ प्रासङ्गिक समाचार, शोध, आओर युसिओसीसँ सम्बन्धित आगामी घटनासभ केर वितरित करत।

कृपया ध्यान दी, ई युसिओसी समाचारपत्रक पहिल अङ्क छी जे सम्पूर्ण पाठकसभ आ परियोजनासभक पहलक घोषणा केर रूपमे देल जा रहल छी। यदि अहाँ चाहैत छी जे भविष्यक अङ्क अहाँक वार्ता पृष्ठ, चबुतरा, या कोनो विशिष्ट पृष्ठ पर पहुँचाएल जाए जे अहाँक उपयुक्त लगैत हो, तँ अहाँ एतय सदस्यता ली।

अहाँ हमर प्रिय समुदाय केर आ हम सभ कियो केर सुरक्षित रखवाक लेल समाचारक प्रसार केनाए आ नव आचरणक बारेमे जागरूकता पैदा करवाक लेल समाचारपत्रक अङ्क अप्पन भाषासभमे अनुवाद करऽमे हमर सभक सहायता करि सकैत छी। कृपया अप्पन नाम एतय जोड़ी मुदा यदि अहाँ चाहैत छी जे मस्यौदा अङ्क केर पहिने अनुवाद कएल जाए। अहाँक भागीदारी मूल्यवान आ प्रशंसनीय अछि।

  • सम्बद्ध चयन परामर्श – सन् २०२१ मार्च आ अप्रैलमे युसिओसी सम्बद्ध परामर्शमे भाग लेबऽ कऽ लेल सम्पूर्ण आकार आ प्रकारक विकिमिडिया सहयोगीसभक आमन्त्रित कएल गेल छल। (पढ़नाए जारी राखी)
  • सन् २०२१ प्रमुख परामर्श – विकिमिडिया फाउन्डेसनद्वारा व्यापक विकिमिडिया समुदायसँ युसिओसी प्रवर्तनक बारेमे इनपुटक अनुरोध करवाक लेल सन् २०२१ अप्रैल आ मईमे प्रवर्तन प्रमुख प्रश्न परामर्श आयोजित केनए छल। (पढ़नाए जारी राखी)
  • गोल मेज चर्चा – युसिओसी सहजकर्ता दलद्वारा युसिओसी प्रमुख प्रवर्तन प्रश्नसभ उपर चर्चा करवाक लेल सन् २०२१ मईमे ९० मिनट लम्बा दू टा सार्वजनिक गोल मेज चर्चाक मेजबानी केनए छल। अधिक गप्प निर्धारित अछि। (पढ़नाए जारी राखी)
  • दोसर चरणक मसौदा समिति – युसिओसी केर दोसर चरणक लेल मसौदा समितिद्वारा सन् २०२१ मई १२ केर अप्पन काम शुरू केनए अछि। ओ सभक काजक बारेमे आओर पढ़ी। (पढ़नाए जारी राखी)
  • डिफ ब्लग – सन् २०२१ केर पहिल तिमाहीमे भेल स्थानीय परियोजना परामर्शक दौरान प्रत्येक समुदायसँ दिलचस्प निष्कर्ष आ अन्तर्दृष्टि केर आधार पर युसिओसी सहजकर्ताद्वारा कयन ब्लग पोस्ट लिखने छल। (पढ़नाए जारी राखी)